भागचरण यादव
जनकपुरधाम, १४ कात्तिक । रमौलवाली (रीना यादव) जे बीस वर्ष सँ मैथिली कला आ संस्कृति सँ जुड़ल छथि, हाल अपन नव टोली “रमौलवाली मैथिली सांस्कृतिक मञ्च” मार्फत मिथिलाक गौरवक संरक्षण आ प्रवर्द्धनमे सक्रिय छथि। ई मञ्च एस.आर. मैथिली मिडिया प्रा.लि.क संचालनमे गत एक वर्ष सँ निरन्तर रूप सँ मिथिलाञ्चलमे सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन क’ रहल अछि।

मञ्चक उद्देश्य मैथिली भाषा, कला आ परम्पराक संवर्धन आ प्रचार-प्रसार करबाक अछि। ई मञ्च द्वारा आयोजित कार्यक्रमसभमे सैकड़ो मैथिली गीत, नृत्य आ प्रहसन (कॉमेडी) प्रस्तुत भ’ चुकल अछि। एहन प्रस्तुति सभसँ लोककेँ मनोरंजनक संगहि सामाजिक सन्देश आ सांस्कृतिक चेतना सेहो प्रसारित भ’ रहल अछि।

मञ्चक प्रमुख कलाकारसभमे रीना यादव (प्रहसन), राजरोहित मैथिल, अमर कर्ण, भागचरण यादव (प्रहसन कलाकार), सुनिल राजा, गोरकी, फुलकुमारी आ गीताञ्जली नृत्य , वाद्यवादक नेतृत्व रौशन मिश्र गायक सन्तोष मिश्र , उद्घोषक बलराम झा जी, साउण्ड व्यवस्थापन लाल यादव लाल साउंड, कार्यक्रम व्यवस्थापन ललन ठाकुर जी शामिल छथि। ई कलाकारसभ मिथिलाक गाम-नगरमे कार्यक्रम प्रस्तुत क’ मैथिली भाषाक प्रचार-प्रसारमे महत्वपूर्ण भूमिका निभा रहल छथि।

हालमे सम्पन्न एक कार्यक्रममे मञ्चक कलाकारसभ रंगीन पोशाक आ पारंपरिक भेषभूषामे आकर्षक मैथिली गीत, नृत्य आ हास्य प्रहसन प्रस्तुत कएलनि। कार्यक्रममे दर्शकसभक उत्साही भीड़ रहल आ पूरा माहौल उल्लासपूर्ण बनल रहल।

मञ्चक प्रतिनिधिक अनुसार, आगामी महिनासभमे बिहार आ नेपालक विभिन्न जिलामे सांस्कृतिक कार्यक्रमक श्रृंखला आयोजित कएल जायत। एहन प्रयास सँ स्थानीय प्रतिभाकेँ मंच भेटत आ मैथिली संस्कृति आ पहिचानकेँ मजबूती मिलत।

रमौलवाली मैथिली सांस्कृतिक मञ्च सम्पूर्ण प्रदेशक कलाकारसभकेँ एकजुट क’ “भाषा, संस्कृति आ पहिचान – हमर गौरव” एहि नाराक संग सांस्कृतिक जागरणक अभियान निरन्तर आगाँ बढ़ा रहल अछि ।

प्रतिक्रिया दिनुहोस् !
सम्बन्धित खवर
ताजा समाचार !

धेरै पढिएको !